Advertisement
☰

सबैलामे:- नेकपा- कांग्रेस परित्याग ६ सय २५ कार्यकर्ता जसपा मे प्रवेश।

न्युजडेस्क
२०७७ भाद्र २३, मंगलवार २०:३७

द प्रदेश टाइम्स जनकपुरधाम भाद्रो /२३ गते नेकपा आ कांग्रेस पार्टी परित्याग क ६ सय २५ स्थानीय स्तर के नेता आ कार्यकर्ता सभ जनता समाजवादी पार्टी नेपाल मे प्रवेश कयलक अछि।

धनुषा निर्वाचन क्षेत्र नं १ सबैला नगरपालिका के पटयर्वा गाम मे अायोजित पार्टी प्रवेश कार्यक्रम मे विगत ३० वर्ष स नेकपा आ कांग्रेस पार्टी स आबध्द राम सुन्दर मुखिया, कृष्ण मुखिया, श्याम सुन्दर महरा,हेमशंकर सहित के स्थानीय स्तर के नेता कार्यकर्ता सभ नेकपा- कांग्रेस पार्टी के समान्ती , दलित बिरोधि,एक विशेष वर्ग पहाडी आर्य खश के पार्टी रहल आरोप लगबैत वैकल्पिक शक्ति जनता समाजवादी पार्टी नेपाल मे प्रवेश कयलक अछि।

सबैला नगरपालिका जसपा नगर समिति के अध्यक्ष बैधनाथ राय के संयोजन मे भेल पार्टी प्रवेश कार्यक्रम मे प्रदेश के अर्थ मंत्री विजय यादव, जसपा संसदीय दल के उपनेता प्रदेश सांसद रामअशिष यादव , प्रदेश सांसद चमेली देवी दास, नेता साधु यादव, जिल्ला अध्यक्ष पशुपति यादव, नेतृ सुजाता यादव,युवा नेता विजय भगत, उपाध्यक्ष अम्बु साह लगायत के नेता सभ नव प्रवेशी सभ के गमछा अबिर लगा पार्टी मे प्रवेश करौलनि।

तपाईको प्रतिक्रिया !

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

ADVERTISEMENT

ताजा खबर


सम्बन्धित खबर