Advertisement

कृषिप्रधान देश अल्पविकसित देश के सूचि मे जा रहल नेपाल:- सांसद रामअशिष यादब

न्युजडेस्क
२०७७ भाद्र १९, शुक्रबार १४:०८

जनकपुरधाम १९ भदौ:- प्रदेश न २ धनुषा के सांसद रामअशिष यादव के अल्पविकसित देश के सूचि मे जा रहल नेपाल ‘देश कृषि प्रधान,कृषि उत्पादन अयात एक वर्ष मे २ खर्ब ४३ अरब’ रहल अछि ।


नेपाल मे भारत, बंगलादेश स चामल,दाल, गेहुं, अमेरिका स भटमास, सुकमेल,चीन के लहसुन प्याज, भियतनाम के मिर्चाई, अष्ट्रेलिया,अर्जेन्टिना, युक्रेन, इन्डोनेसिया के मटर,चना, बदाम अयात करैत अछि। ‘गैर जिम्मेवार , उत्तरदायित्वविहिन बनि रहल संघिय सरकार के ज्वलन्त उदाहरण अछि , धान उत्पादन के समय रासायनिक मल के अभाव,’ केन्द्रीय तथ्यांक विभाग के अनुसार विगत एक दशक मे कृषि क्षेत्र के वार्षिक वृध्दि दर अौसत ‌मे ३ प्रतिशत अछि।

सिंचाई,हाइब्रिड बीउ विजन प्रयोग ,समय मे प्रयाप्त मात्रा मे मलखाद के उपलब्ध, कृषि उत्पादन के व्यवस्थापन, बजारीकरण,माटि उर्वराशक्ति सुधार, प्रांगारिक मल प्रयोग, एकिकृत कृषि प्रणाली IPM प्रविधि, किसान के सम्मान, प्रोत्साहन,पर्यावरण संरक्षण सहित मे राज्य गम्भीरतापूर्वक योजना बना लागु कारबाक अति आवश्यक अछि।

२०३३ साल मे नेपाल मे धान चामल निर्यात कम्पनी स्थापना क विदेश मे धान चामल निर्यात होइत छल , कृषि प्रधान देश नेपाल एक दशक पहिले कृषि मे आत्मनिर्भर छलि,वर्तमान समय मे कृषि मे परनिर्भर छी, कृषि मे आत्मनिर्भर नहि होब धरि देश आ प्रदेश के समृद्धि कदापि नहिं भ सकैत अछि। कृषि उत्पादन मे दिन प्रति दिन ह्रास होइत रहत त नेपाल शिघ्र नायजेरिया,दक्षिण सुडान,सिरिया लियोन जका टप टेन LDCअल्पविकसित देश के सूचि मे सूचिकृत होइबाक निश्चित अछि।

तपाईको प्रतिक्रिया !

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

ADVERTISEMENT

ताजा खबर


सम्बन्धित खबर