Advertisement
☰

सांसद रामअशिष यादव के पहल मे
जलाद नदी मे तटबन्ध निर्माण।

न्युजडेस्क
२०७७ भाद्र २२, सोमबार १६:०९

जनकपुरधाम। धनुषा के क्षेत्र न २ के `ख´ मे रहल जलाद नदी मानव वस्ती आ खेत खरियान के विनास क रहल जलाद नदी मे तटबन्ध निर्माण कयल गेल अछि।


प्रदेश सरकार उच्च स्तरीय अनुगमन तथा विपत व्यवस्थापन समिति के संयोजक भौतिक पूर्वाधार मंत्री जीतेन्द्र सोनल जी के निर्देशन ,जसपा संसदीय दल के उपनेता प्रदेश सांसद रामअशिष यादव के अथक पहल आ सिंचाई डिभिजन कार्यालय धनुषा के प्रमुख डिई भगवान झा जी के प्रत्यक्ष निरिक्षण मे पौडेश्वर गाम जलाद पुल स दक्षिण , जलाद नदी मे १ सय मिटर दुरि मे मानव वस्ती आ खेत खरियान रक्षण हेतु तटबन्ध निर्माण कयल गेल अछि। तटबन्ध निर्माण स पौडेश्वर,क‌नकपटी,अोसरा,भोईल, बभनगामा आ लोहना गाम के हजारौं विघा उपजाउ जमिन मरुभूमि होब स सुरक्षित भेल डिई भगवान झा जानकारी देलनि।


जलाद नदी के बाढि स हजारौं विघा उपजाउ जमिन मे रोपल गेल धानवाली नष्ट भेल छल। संघीय सरकार नदी नियन्त्रण, चुरे जंगल संरक्षण आ सिंचाई क्षेत्र मे बिलकुल ध्यान नहि देलाक कारण मधेश के उपजाउ भुमि मरुभूमि मे परिणत भरहल अछि, प्रदेश सरकार सिमित साधन स्रोत के बावजूद नदी नियन्त्रण के लेल छोट छोट प्रयास क कृषि मे आत्मनिर्भर ,अल्प विकसित देश के सूचि मे जा रहल नेपाल के रक्षण के लेल प्रयास रत अछि।
जय जवान – जय किसान

तपाईको प्रतिक्रिया !

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

ADVERTISEMENT

ताजा खबर


सम्बन्धित खबर