Advertisement
☰

मोरहा के जमुनी नदि मे सिंचाई फाटक निर्माण के लेल स्थलगत निरिक्षण: प्रदेश सांसद रामअशिष यादव।

न्युजडेस्क
२०७७ भाद्र ३०, मंगलवार १९:२५

द प्रदेश टाइम्स / जनकपुरधाम धनुषा के हाँसपुर नगरपालिका वाड न ९ मोरहा मे रहल जमुनी नदि के फाटक निर्माण के लेल प्रदेश सांसद रामअशिष यादव अनुगमन कयलनि।

कृषि प्रधान प्रदेश नं २ मे कृषि मे आत्मनिर्भरता के लेल सिंचाई फाटक निर्माण अति आवश्यक रहल अछि। जनता समाजवादी पार्टी नेपाल के लोकप्रिय समाजवादी नेता प्रदेश सांसद रामअशिष यादव सिँचाइ फाटक निर्माण स्थल के स्थलगत निरीक्षण कयलनि।

धनुषा निर्वाचन क्षेत्र नं २ हंसपुर नगरपालिका वार्ड नं ९ मोरहा गाम स्थित जमुनी नदि मे कृषि सिंचाई के लेल प्रदेश सांसद यादव के साथ प्रदेश सरकार के सचिव राम आधार साह सहित प्राविधिक टोली स्थलगत निरीक्षण कयलनि। सिंचाई फाटक निर्माण भेला स मोरहा, रुदौली, झिटकहिया, विकमपुर, कपटौल, परबाहा सहित सिमा क्षेत्र के १ दर्जन स बेसि गाम सभ सिंचाई सुविधा उपलब्ध हेयत जानकारी प्राविधिक टोली देलनि।


‘स्वच्छ मधेश, कृषि प्रधान प्रदेश’

तपाईको प्रतिक्रिया !

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

ADVERTISEMENT

ताजा खबर


सम्बन्धित खबर